Перейти к содержимому

।। मिथिलाञ्चलक अभिनेत्री पुजा मंडल (लभली)के संग बातचित ।। रुपचन लभली टिम ।। जर्नलिस्ट प्रमोद ।।

Journalist Pramod

0:00 / 0:00

।। मिथिलाञ्चलक अभिनेत्री पुजा मंडल (लभली)के संग बातचित ।। रुपचन लभली टिम ।। जर्नलिस्ट प्रमोद ।।

1 981 просмотр · 5 месяцев назад
Journalist Pramod
4,44 тыс. подписчиков
1 981 просмотр · 5 месяцев назад
।। मिथिलाञ्चलक अभिनेत्री पुजा मंडल (लभली)के संग बातचित ।। रुपचन लभली टिम ।। जर्नलिस्ट प्रमोद ।। पुजा मंडल (लभली) मिथिला क्षेत्रकी उदीयमान कलाकार छथि, जिनकर जन्म नाथपट्टी बिसरभोरा गाउँमे भेल। बचपनसँ हुनका टेलिभिजन पर्दापर देखाय देबाक सपना रहल, आ ओहि सपनाकें साकार करबाक उद्देश्यसँ ओ जनकपुरधाम आयल छथि। जनकपुरधाम आबि क’ पुजालेँ “लभयु मिथिला टिम (कलकतीयावाली)” संग जुड़ि अपन अभिनय यात्रा शुरू केलथि। शुरुआती समयमे छोट-छोट भूमिका निभाबैत ओ धीरे-धीरे दर्शकसभक ध्यान आकर्षित करयमे सफल भेलथि। बादमे ओ “रुपचन लभली टिम” केर स्थापना क’ अपन अलग पहचान बनौलथि, जकर माध्यमसँ मैथिली मनोरञ्जनक विभिन्न टिभी सिरिज यूट्यूब पर सार्वजनिक कयल जा रहल अछि। तीन बहिनमे मझिली पुजा अपन मेहनत, लगन आ प्रतिभाक बल पर मैथिली रंगमंचमे अपन स्थान बनाबयमे सफल भेल छथि। जनकपुरधाम ओ पढ़ाई लेल आयल छलथि, मुदा कोरोना महामारीक कारण हुनकर शैक्षिक यात्रा प्रभावित भेल। एहि बीच परिवार, विशेष क’ ममीक इच्छा अनुसार ओ अभिनय क्षेत्रमे सक्रिय भ’ गेलथि। आइ पुजा मंडल “लभली” मैथिली यूट्यूब रंगमंचमे एकटा चिनल-जानल नाम बनि चुकल छथि। हुनकर सपना केवल नाम कमायब नहि, बल्कि मैथिली भाषा आ संस्कृतिक सेवा करैत जीवन भरि एहि क्षेत्रमे योगदान देबाक अछि। हुनकर संघर्ष, समर्पण आ लगन युवा पीढ़ी लेल प्रेरणास्रोत बनि रहल अछि।